महेन्द्र मंगलिया कें साहित्य अकादमी पुरस्कार समस्त मैथिल के लेल गौरव बात- नीतीश प्रभाकर चौधरी
मधुबनी। साहित्य अकादमी बुधदिन 21 भाषा मे वर्ष 2024 के पुरस्कार के घोषणा केलक अछि। एहि मे मैथिली भाषा के लब्धप्रतिष्ठित साहित्यकार महेंद्र मलंगिया के सेहो नाम शामिल कयल गेल अछि, जिनका मैथिली साहित्य मे हुनक महत्वपूर्ण योगदान लेल सम्मानित कयल जाएत। अलीनगर विधानसभा क्षेत्र सं भावी उम्मीदवार नीतीश प्रभाकर चौधरी एहि पर हर्ष व्यक्त करैत, महेंद्र मलंगिया के बधाई आ शुभकामना देलनि अछि। नीतीश प्रभाकर चौधरी कहलनि अछि जे मलंगिया के साहित्य अकादमी पुरस्कार लेल चयन मैथिली भाषा भाषी लेल गौरवान्वित महसूस कराबय वाला अछि। एहि लेल चयन समिति के धन्यवाद अछि। बता दी जे
मधुबनी के रहिका प्रखंड के मलंगिया निवासी साहित्यकार महेन्द्र मलंगिया के हुनका ई सम्मान निबंध ‘प्रबंध संग्रह’ लेल देल जा रहल अछि । साहित्य अकादमी बुधदिन 21 भाषा मे वर्ष 2024 के पुरस्कार के घोषणा केलक अछि, जाहि मे निबंध श्रेणी लेल महेंद्र मलंगिया के नाम सेहो शामिल अछि।
भूगोल के अध्यापक मलंगिया कें पड़ोसी देश नेपाल मे सेहो बहुत सम्मान प्राप्त अछि | हिनक रचना मे काठक बनल लोक, गाम नहि सुतैया’ सन नाटक बहुत लोकप्रिय अछि। हिनक दूटा पोथी ‘ओकरा आंगनक बरहमासा’ आ काठक बनल लोक’ नाटक हिनक सबसँ लोकप्रिय रचना अछि, जे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा के मैथिली पाठ्यक्रम मे शामिल अछि। महेंद्र अपन गाम मलंगिया के अपन नाम संग जोड़ने छथि आ गाम संग ई महेंद्र मलंगिया के नाम सं मैथिली साहित्याकाश दिप्तीमान छथि। ई तीन दशक बेसी समय सँ नेपाल मे अध्यापन कार्य कएने छथि ।